अरुण प्रसाद चौधरी
हम कथिले जेबै बिदेश ?
जतके आकाश ओहिनङ्घ निला छै
जत हमर माईके आवाज नै पुगैछै
सडक चौडा आ चम्कैत छै
महज हमर गामके गर्दा ओत नै छै ।
हम कथिले जेबै बिदेश ?
जैठाम पसिनाके मोल सस्ता छै
सपनाके वजन भारी छै
कतबो मेहनत करु
थकानके साथ अपमान प्यारी छै ।
हम कथिले जेबै बिदेश ?
जै देशमे
कल कल बहैत नदी नाला छै
हरियर फाँट, उत्तरमे चाँदिके माला छै
ओई देश छोईर हम बिदेश जेबै कथिले ?
हम कथिले जेबै बिदेश ?
जब आपन माइटमे उब्जल अन्न
दोसरके थारीमे मँहगा बिकैछै
हमर बारीमे लहराइत चाय
ओकर कपमे छलकैत मिलैछैै
महज हमर हाथ
जतसे खाली लौटै छै ।
हम कथिले जेबै बिदेश ?
जत सपनाके पाँइख काटैछै
समयके पावन्दीमे मेशिन बनैछै
हमरा त स्वच्छन्द उडान चाहि
प्रियवरके मुस्कान चाहि ।
हम कथिले जेबै बिदेश ?
स्वर्गसन स्थान छोइर
अमृतसन रसपान छोइर
लहलहाइत लहरा आ
आपन माइट पाइनके
सुगन्ध, हराभरा छोइर ।
लहान न.पा. १८, सिरहा
सम्पर्कः ९८४२१७१५५५
इमेलः arunchaudhary5019@gmail.com
प्रकाशित:
१५ दिन अगाडि
|
३० असार २०८३
२ दिन अगाडि
|
११ साउन २०८३
३ दिन अगाडि
|
९ साउन २०८३
८ दिन अगाडि
|
५ साउन २०८३
१० दिन अगाडि
|
३ साउन २०८३
११ दिन अगाडि
|
२ साउन २०८३
१२ दिन अगाडि
|
१ साउन २०८३
१५ दिन अगाडि
|
३० असार २०८३
१३८६ दिन अगाडि
|
२५ असोज २०७९
१४२१ दिन अगाडि
|
२१ भदौ २०७९
१४३१ दिन अगाडि
|
१२ भदौ २०७९
१३८६ दिन अगाडि
|
२६ असोज २०७९
१३३५ दिन अगाडि
|
१५ मंसिर २०७९
१३९१ दिन अगाडि
|
२० असोज २०७९
१३२४ दिन अगाडि
|
२७ मंसिर २०७९